dcsimg

बङ्गाल बाघ ( Maithili )

provided by wikipedia emerging_languages

बङ्गाली बाघ वैज्ञानिक नाम प्यान्थरा टाइग्रिसकें नामसँ चिन्हल जाइवाला ई बाघसभ मूलतः भारत, नेपालबंगलादेशक जङ्गली जानवर छी । बाघसभ विभिन्न प्रकारक वासस्थानमे बैस सकैत अछि । घांसक मैदानसँ उष्ण तथा समशितोष्ण सदाबहार जङ्गलसभ आ झाडीसभमे मात्र नै भ मरुभूमी आसपासक पतझर वनसभ, सुख्खा झाडीसभमे आ ओशीला दलदलसभमे समेत बाघ अपन वासस्थान बनाए रहैत अछि । जङ्गलमे खुल्लारूपमे विचरण करनिहार नर बाघसभ साधारणतया २०५ सँ २२७ किलोग्रामधरि तौल भेल होइत अछि तहिना महिला बाघसभ औषत रूपमे करिब १४१ किलोग्राम तौलक होइत अछि । यद्यपी नेपाल तथा उत्तर भारतमे पाबल जाइवाला बङ्गाल बाघसभ दक्षिण भारतमे पाबल जाइवाला बाघसभसँ किछ पैग शरीरक होइत अछि जकर नरक तौल लगभग २३५ किलोग्राम धरि होइत अछि ।

वासस्थान

सन्दर्भ सामग्रीसभ

  1. Chundawat, R. S., Khan, J. A., Mallon, D. P. (२०११), "Panthera tigris tigris", IUCN Red List of Threatened Species. Version 2012.2, International Union for Conservation of Nature

बाह्य जडीसभ

एहो सभ देखी

license
cc-by-sa-3.0
copyright
Wikipedia authors and editors